जदयू प्रवक्ता अजय आलोक शरद यादव लेल नरम रुख अपनाबैत कहलनि कि जेना सावन के बाद भादो आबैत अछि ओनहिये शरद यादव सेहो फेर आएब जेता। अजय आलोक कहलनि कि शरद यादव पार्टी के संग छथि।
ओतहि जदयू के मुख्य प्रवक्ता संजय सिंह शरद यादव पर हमलावर देखकर देलथि। संजय सिंह कहलनि कि शरद यादव हमरा सभक पुरान नेता छथि मुदा, ओ अप्पन राह भटैक रहल छथि। आगा ओ कहलनि कि शरद यादव स्वतंत्र छथि हुनका की करबाक छैन्ह ओ खुद बुझता।
दरअसल, शरद यादव पर ई हमला तखन काएल गेल जखन शरद यादव के एक करीबी विजय वर्मा के माध्यम सँ मीडिया म' ई खबैर आएल जे शरद यादव नीतीश कुमार के फैसला सँ नाराज छथि। ओ कुनू आओर पटरी म' जेबाक बदला एक दू दिन म' नवा पार्टी बनेबाक घोषणा करथिन।
अपने क' बता दी नीतीश कुमार जहिना एनडीए म' जेबाक फैसला लेलनि, तहिना शरद यादव नाराज भ' गेलथि। शरद यादव मीडिया म' देब तक नहि छोड़लैन्ह। मीडिया म' देल गेल बयान म' शरद यादव कहलनि कि नीतीश कुमार के महागठबंधन तोड़बाक फैसला दुर्भाग्यपूर्ण छल। बिहार के 11 करोड़ जनता एहि दिनक लेल महागठबंधन म' विश्वास नहि केना छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।