हरकत म' नीतीश सरकार, रिश्वतखोर डॉक्टर क' सेवा सँ काएल गेल बर्खास्त

कटिहार। 02 अगस्त। बिहार म' नवा सरकार के गठन भेलाक 72 घंटाक भीतर भ्रष्टाचारी सभक खिलाफ एक्शन देखार देबा लागल अछि। डेढ़ बरख पहिने रिश्वत लैत रंगल हाथ निगरानी के हाथ लागल कटिहार के समेली प्रखण्डक प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र के डॉक्टर जयचन्द्र झा क' सेवा सँ बर्खास्त काएल गेल अछि।

दरअसल, पछिला 05 जनवरी 2016 क' सूबे के निगरानी विभाग द्वारा  कटिहार के समेली प्रखण्डक प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र के डॉक्टर जयचन्द्र झा क' दस हजार टाका रिश्वत लैत रंगल हाथ गिरफ्तार काएल गेल छल। हुनका ऊपर प्राथमिकी दर्ज भेलाक बाद हुनका तत्काल निलंबित काएल गेल छल। एहि दौरान हुनका खिलाफ विभागीय कार्रवाई केर प्रक्रिया सेहो  शुरू काएल गेल छल। 

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर नेतृत्व म' नवा सरकार के गठन भेलाक 72 घंटाक भीतर मंत्रिपरिषद सँ भेटल स्वीकृति के बाद भ्रष्टाचार आओर रिश्वत लेबाक कारण सरकारी सेवा म' रहबाक अयोग्य करार दैत कटिहार के समेली प्रखण्ड के प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्रक डॉक्टर जयचन्द्र झा क' सेवा सँ बर्खास्त काएल गेलनि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने