उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी केर काफिला पर हमला करबाक आरोप म' 6 गिरफ्तार

पटना। 16 अगस्त। उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी पर हमला करबाक मामला म' 6 गोटा क' गिरफ्तार काएल गेल अछि। ऐहिक संगे 100 अज्ञात लोगक खिलाफ एफआईआर दर्ज काएल गेल अछि। 

अपने क' बता दी कैल्हि मंगल दिनक सांझ म' सुशील मोदी केर काफिला पर हमला काएल गेल छल। हमला करबाक आरोप तेजस्वी यादव के समर्थक सभ पर लगाओल गेल छल। ओनाकि तेजस्वी यादव एहिसँ साफ  इंकार केना छथि। 

प्राप्त जानकारी केर मुताविक उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी पर हमला केर मामला क' सरकार बहुत गंभीरता सँ ल' रहल अछि। वैशाली म' भेल हमला के बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हुनका सँ बात केलनि।

सुशील मोदी केर काफिला पर भेल हमलाक चहुओर आलोचना भ' रहल अछि। जदयू के प्रदेश अध्यक्ष वशिष्ठ नारायण सिंह कहलनि कि लोकतंत्र म' एहि तरहक घटना क' कुनु जगह नहि होयबाक चाही। असहिष्णुता केर  प्रवृति राजनीति केर गरिमा क' नष्ट क' दैत अछि। ओतहि,जदयू प्रवक्ता नीरज कुमार सेहो एहि हमलाक निंदा करैत ऐहिके कायरतापूर्ण कार्रवाई बतौलनि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ