लगातार उग्र भ' रहल अछि बाढ़िक विभीषिका, एखन धरी 70 सँ बेसी केर मौत

दरभंगा। 16 अगस्त। मिथिला म' भीषण बाढ़िक चलते एखन धरी 70 सँ बेसी लोगक मौत भ' चुकल अछि। बाढ़िक चलते मौतक आंकड़ा केर जानकारी दैत राज्य के आपदा प्रबंधन विभाग के अतिरिक्त सचिव अनिरुद्ध कुमार कहलनि कि अररिया जिला म' 22, किशनगंज म' 9, पूर्वी चंपारण म' 5, पश्चिमी चंपारण म' 11, दरभंगा म' 4, मधुबनी म' 5 लोगक मौत भ चुकल अछि। ऐहिक अलावा सीतामढ़ी म' 7, मधेपुरा म' 6 आओर शिवहर म' 1 व्यक्ति केर मौत भ' चुकल अछि।

बाढ़ि सँ बहुत बेसी प्रभावित कटिहार जिला म' राहत आओर बचाव काजक लेल सेना केर तीन कंपनी क' तैनात काएल गेल अछि। नेपाल सँ बिहार म' आबै बला नदी सभक जलस्तर म' बहुत बेसी बढ़ौतरी के चलते बिहार के सीमांचल कहै जाय बला इलाका के चारि जिला किशनगंज, अररिया, पूर्णिया आओर कटिहार म' हालात गंभीर अछि। ऐहिक अलावा सुपौल, सहरसा, बगहा, गोपालगंज, मधुबनी, सीतामढ़ी, खगड़िया, दरभंगा आओर  मधेपुरा समेत कैको जिला सेहो बाढ़िक विभीषिका झेल रहल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा केंद्र सँ मदैद मांगबाक बाद राज्य म' सेना आओर वायु सेना केर तैनाती काएल गेल अछि।
एहिसँ पहिने सोमदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बाढ़ि प्रभावित इलाका के   हेलिकॉप्टर सँ सर्वे केना छलथि। आपदा केर सर्वे करबाक बाद नीतीश कुमार कहलनि कि एहेन इलाका म' राहत आओर खाद्य सामग्री के लेल कैंप लगाओल जे रहल अछि। नीतीश कुमार कहलनि कि हम आपदा प्रबंधन विभाग के मुख्य सचिव, लोक निर्माण विभाग आओर सभ जिलाधिकारी क' हालात केर जायजा लेबाक लेल भेजना छी। बाढ़ि सँ प्रभावित इलाका म' हेलिकॉप्टर स' खाद्य सामग्री केर पैकेट पहुँचाओल जे रहल अछि।

अपने क' बता दी मिथिला समेत सगर बिहारक कैको जिला म' बाढ़ि विक्राल रूप धारण केना अछि। नेपाल के मैदानी इलाका आओर सीमांचल म' पछिला किछु दिन सँ भ' रहल लगातार बारिश के कारण पूर्णिया, किशनगंज, कटिहार, अररिया, दरभंगा समेत 18 जिला म' बाढ़िक पैन सड़कक  ऊपर सँ बही रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने