हद तेँ तखन भेल जखन ओ खुद जिनगी म' कहियो झंडोत्तोलन नहि करबाक जेहेन अनर्गल बयानबाजी करि देशक सवा सौ करोड़ लोगक भावना क' ठेस पहुँचौलनि।
पप्पू यादव बाढ़ि प्रभावित जिला सभक बीस सूत्री प्रभारी सहित सभ नेता लोकनि क' भ्रष्टाचारी बतबैत हुनका विरुद्ध बंदूक उठेबाक धमकी द' देलनि। एतबो स' जखन हुनकर मोन नहि भरल तेँ ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जेहेन नेता सभके फांसी पर लटका देबाक गप सेहो केलनि।
दरअसल, पप्पू यादव कैल्हि मंगलदिन कोशी प्रभावित क्षेत्र केर दौरा करबाक लेल नवहट्टा आओर महिषी प्रखंडक पीड़ित सभक दुःख आओर राहत काजक जायजा लेबा पहुँचल छला। एहिठाम बाढ़िक भयावह स्थिति देख सांसद पप्पू यादव कहलनि कि एहिठामक स्थानीय मंत्री क' एहि कोसी म' फेक देबाक चाही।
आगा ओ कहलनि कि नेता आओर पदाधिकारी सभ देश क' 70 साल सँ सिर्फ लुइट रहल छथि। भूख सँ बिलखैत लोग सभक हाल जानबाक फुर्सत नीतीश कुमार क' पांच दिन बाद भेटल। बाढ़ि राहत सामग्री सही सँ नहि भेटबाक कारण भूख सँ भेल लोग सभक मौत पर पप्पू यादव कहलनि कि सूबे के मुखिया नीतीश कुमार हवाई सर्वेक्षण करैत छथि, हुनका जमीनक लोग सभक कुनु मतलब नहि छैन्ह। यदि इए स्थिति रहत तेँ आब होएत महाभारत आओर हम उठाएब बंदूक।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।