आए जदयू एमएलसी आओर प्रवक्ता नीरज कुमार शरद यादव पर हमला करैत कहलनि कि शरद यादव राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद सँ मिल गेल छथि। आब ओ भ्रष्टाचार के आगू नतमस्तक भ' गेल छथि। लालू प्रसाद आओर तेजस्वी यादव आब शरद यादव के आदर्श बैन गेल छथि।
ओतहि जदयू प्रवक्ता राजीव रंजन कहलनि कि शरद यादव पार्टी लाइन के ख्याल राखैत। पार्टी सँ बढ़ी के किछु नहि होएत अछि। गठबंधन टुटलाक बाद आब रायशुमारी केर कोनो मतलब नहि अछि।
जदयू के कठोड़ तेवर देख ई मानल जे रहल अछि कि बहुत जल्द शरद यादव के पत्ता पार्टी स' कैट सकैत अछि।
अपने क' बता दी शरद यादव अप्पन तीन दिनक यात्रा पर बिहार आएल छथि। ऐता ओ जनता सभक बीच पहुंच गठबंधन टुटबाक कारण आओर ओहिक बारे म' जनता सभक निर्णय बुझबाक कोशिश करथिन।
प्राप्त सूचनाक मुताबिक शरद यादव पार्टी के नियम सभक उल्लंघन क' रहल छथि, ओ अप्पन यात्रा के जानकारी पार्टी क' नहि देना छथि, एहि कारण सँ पार्टी हुनका पर कार्रवाई क' सकैत अछि। जदयू द्वारा एक नोटिस सेहो जारी काएल गेल अछि जाहिमे कहल गेल अछि कि जे कियो कार्यकर्ता शरद के कार्यक्रम म' पहुंचता हुनका पर पार्टी कार्रवाई करत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।