अपने क' बता दी मंगल दिनक भोर पड़ड़िया म' एक बोरा म' पशु के अंग भेटल छल, जाहिक बाद दू समुदाय के बीच तनाव उत्पन्न भ' गेल छल। तनाव एतेक बढ़ी गेल छल कि हालात क' काबू म' करबाक लेल प्रशासन द्वारा सहरसा म' मोबाइल इंटरनेट आओर मैसेजिंग सर्विस पर रोक लगाओल गेल। खबैर अछि की हालात सामान्य होयबा पर आए सांझ स' इंटरनेट सेवा शुरू भ' जाएत।
पड़ड़िया गाम म' मौजूद सिमरीबख्तियारपुर के इंसपेक्टर सत्यनारायण राय कहलनि कि पूरा पड़ड़िया गाम क'प छह भाग म' बाँटीके पुलिस बल तैनात काएल गेल अछि। जाहिमे सोनवर्षा थाना सँ एएसआई विनोद चौधरी, अनिल कुमार, कमलकांत तिवारी, सिमरीबख्तियारपुर थाना सँ अजीत कुमार, ललित मंडल आओर सलखुआ थाना सँ महेश्वर प्रसाद क' तैनात काएल गेल अछि। ओतहि दंडाधिकारी के रूप म' सिमरीबख्तियारपुर के प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी अशोक कुमार, सत्तर कटैया के प्रखंड कृषि पदाधिकारी मनोज कुमार सिंह, सोनवर्षा कृषि पदाधिकारी मनबोध पासवान क' तैनात काएल गेल अछि। स्थानीय विधायक रत्नेश सादा कैल्हि बुधदिन पड़रिया पहुंच दुनू समुदाय सँ शांति बनेबाक अपील केलनि। एखन पड़ड़िया के स्थिति सामान्य बताओल जे रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।