गया। 10 अगस्त। जयपुर के चुड़ी कारखाना सँ मुक्त कराओल गेल 171 बाल मजदूर आए गया पहुंचल। बच्चा सभके अजमेर सियालदह एक्सप्रेस म' विशेष कोच सँ गया आनल गेल। छुड़ाओल गेल 171 बच्चा म' 44 बच्चा गया के छथि। बांकी समस्तीपुर, नांलदा, जहानाबाद, मधुबनी, मुजफ्फपुर, वैशाली, सीतामढ़ी, कटिहार, सुपौल, शेखपुरा, नवादा, सहरसा, पटना, औरंगबाद, दरभंगा और किशनगंज के छथि।
मुक्त कराओल गेल बच्चा गया पहुँच बतौलनि कि हुनका सभसँ चुड़ी कारखाना म' काज कराओल जाएत छल, जाहिके बदला हुनका सभके महीना म' एक हजार टाका भेटैत छल। एहि बच्चा सभ म' कियो घरवाला सभक मर्जी सँ गेल छल तेँ किनको धोखे म' राखीके जयपुर भेजल गेल छल। बाल संरक्षण अधिकारी कहलनि कि जयपुर म' छापामारी करि एहि बच्चा सभके मुक्त कराओल गेल। सभके हुनकर घर पहुंचेबाक प्रयास काएल जे रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।