पटना। 10 अगस्त। आए भोर राष्ट्रीय जनता दल (राजद) के नेता आओर वार्ड पार्षद केदार राय केर गोली मारी हत्या क' देल गेल। मृतक केदार राय राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद के करीबी बताओल जाएत अछि। एहि बीच, पुलिस द्वारा त्वरित कारवाई करैत चैर लोग क' गिरफ्तार काएल गेल अछि। पुलिस केर मुताबिक, केदार राय आए भोर सगुना मोड़ रोड लग टहलैत छला तखने मोटरसाइकिल पर सवार अज्ञात अपराधी सभ हुनका गोली मारी फरार भ' गेल।
घायल अवस्था म' केदार राय क' पटना के एक निजी अस्पताल भर्ती कराओल गेल, जाता हुनक मौत भ' गेल। पुलिस के मुताबिक अपराधी सभक संख्या तीन बताओल जे रहल अछि। हत्या के कारणक एखन धरी स्पष्ट तौर पर पता नहि चलल अछि। पुलिस के एक वरिष्ठ अधिकारी कहलनि कि प्रथम दृष्टया हत्या के पाछू भूमि विवाद केर आशंका जाताओल जे रहल अछि। एम्हर, राजधानी म' दिनदहाड़े भेल एहि हत्या के बाद लोग सभमे आक्रोश अछि। उल्लेखनीय अछि कि 29 जुलाई क' सीवान जिला के शेखपुरा गाम निवासी आओर राजद नेता मिन्हाज खां के अपराधी सभ ओहि समय गोली मारी हत्या क' देना छल, जाहि समय ओ अप्पन घर म' सुतल छलाह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।