बक्सर के डीएम केलनि आत्महत्या, गाजियाबाद के रेलवे ट्रैक सँ बरामद भेल लाश

बक्सर। 11 अगस्त। बक्सर के डीएम मुकेश पांडेय कैल्हि सांझ  गाजियाबाद म' आत्महत्या क' लेलनि। हुनकर शव गाजियाबाद स्टेशन सँ 1 किलोमीटर दूर कोटगांव लग रेलवे ट्रैक पर कटल अवस्था म' भेटल। जीआरपी के कहब अछि कि शुरुआती जांच म' ई आत्महत्या के मामला बुझा रहल अछि। मुदा आत्महत्या के कारणक किछु पता नहि लगाओल जे सकल अछि। आए  मुकेश पांडेय के पोस्टमॉर्टम होयत। पुलिस सूत्रक कहब अछि कि  मुकेश पांडेय एक फाइव स्टार होटल म' रूम नंबर 524 म' ठहरल छला। 

कैल्हि गुरुवार रातिक 8 बजे फोन आयल कि वेस्ट दिल्ली के एक मॉलक दसम मंजिल पर कियो चढ़ल छथि। पुलिस जखन ओता पहुँचल ते कियो नहि भेटल, मुदा ओहिठाम सँ पुलिस क' मोबाइल फोन आओर सूसाइड नोट भेटल। सूइसाइड देखल जाऊ।
नोट म' ओ लिखने छथि कि ओ अप्पन मर्जी सँ आत्महत्या क' रहल छथि। शव भेटलाक बाद ससुर क' फोन क' देब। नोट म' ओ किछु नंबर सेहो देना छथि।

2012 बैच के आईएएस मुकेश किछु दिन पहिने बतौर डीएम बक्सर म' चार्ज सम्हारने छथि। डीएम के पद पर हुनकर ई पहली पोस्टिंग छल। एहिसँ पहिने ओ कटिहार के डीडीसी छलाह। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने