'भाजपा भगाओ देश बचाओ' रैली म' लालू केँ राजनीतिक साख दांव पर


पटना। 26 अगस्त। बिहार के सत्ता सँ हालहि म' दूर भेल आरजेडी के 27 अगस्त क' पटना के ऐतिहासिक गांधी मैदान म' होमै बला 'भाजपा भगाओ, देश बचाओ' रैली क' नहि सिर्फ आरजेडी अध्यक्ष लालू प्रसाद के शक्ति प्रदर्शनक रूप म' देखल जे रहल अछि बल्कि एहि रैली क' हुनकर राजनीतिक साख आओर राजनीतिक पूंजी सँ जोड़ीके सेहो देखल जे रहल अछि। 


रैली सँ पहिने बीजेपी के विरोधी दल सभक कैको महत्वपूर्ण नेता सभक एहि म' नहि अएबाक ऐलान सँ विरोधी दलक एकता केर मुहिम क' झटका लागल अछि। महागठबंधन तोईड़ नीतीश कुमार के बीजेपी संग मिलबाक बाद पटना म' होमै बला आरजेडी के एहि रैली म' सोनिया गांधी, राहुल गांधी आओर मायावती के नहि अएबा सँ रैलीक राजनीतिक रंग फीका होएब तय मानल जे रहल अछि। 


कांग्रेस दिस सँ राज्यसभा म' विपक्ष केर नेता गुलाम नबी आजाद आओर बिहार प्रभारी सीपी जोशी रैली म' शामिल हेथिन। आरजेडी के उपाध्यक्ष रघुवंश प्रसाद सिंह कहलनि कि ई अभूतपूर्व रैली होएत। एहि रैली म' एक विचार के दल सभके आमंत्रित काएल गेल अछि।


अपने क' बता दी एहिये रैली म' संभावित 2019 के लोकसभा चुनाव केर  स्क्रिप्ट लिखल जेबाक अछि। एहि रैली म' प्रमुख बीजेपी विरोधी नेता सभक अनुपस्थिति आओर बाढ़िक बावजूद यदिआरजेडी भीड़ जुटा लैत अछि, तेँ एहि रैली क' सफल मानल जाएत। 


लालू यादव जखन - जखन मुसीबत म' फसैत छथि तखन - तखन ओ रैली केर आयोजन करि सामाजिक न्यास, धर्मनिरपेक्षता जेहन मुद्दा क' हवा दैत छथि। ई हुनकर पुरान स्टाइल अछि। एक बेर फेर सँ लालू यादव भ्रष्टाचार के मामला म' घेराओल छथि आओर रैली केर आयोजन क' रहल छथि। इयो रैली लालू यादव क' राजनीतिक संजीवनी देत वा नहि देखबाक चाही।  

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ