पूर्णिया के एक अधिकारी कहलनि कि चूनापुर एयरपोर्ट सँ प्रधानमंत्री मोदी बाढ़ि प्रभावित इलाका सभक सर्वेक्षण करबाक लेल निकैल गेलथि। हुनका संग मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आओर उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी के अलावा कैको अधिकारी सेहो छथि।
प्रधानमंत्री सीमांचल क्षेत्र के जिला सभक सर्वेक्षण क' रहल छथि। हवाई सर्वेक्षण के बाद पूर्णिया म' बाढ़िक स्थिति ल'क' उच्चस्तरीय समीक्षा होएत। एहि दौरान नीतीश कुमार आओर सुशील मोदी सहित सरकार के वरिष्ठ अधिकारी सेहो मौजूद रहथिन। समीक्षा बैठक म' राज्य सरकार बाढ़ि सँ भेल नुकसान केर पूरा ब्योरा प्रधानमंत्री क' देत।
अपने क' बता दी बिहार के 19 जिलाक 186 प्रखंडक 1.67 करोड़ सँ बेसी आबादी बाढ़िसँ प्रभावित अछि। बाढ़िक चपेट म' अएला सँ एखन धरी 426 लोगक मौत भ' चुकल अछि। किछु जगह पर बाढ़िक पैन कमबाक खबैर अछि जाहिसँ प्रभावित लोग सभ अप्पन घर लौट रहल छथि, मुदा जता पैन कमल अछि ओता बीमारी पसरबाक डर बनल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।