दरभंगा। 26 अगस्त। मिथिलांचल म' बाढ़िक हालत चिंताजनक बनल अछि। कैल्हि शुक्रदिन धरी बाढ़ि सँ मरै बलाक आंकड़ा 426 पहुंच गेल। मिथिलांचल के 19 जिला म' लगभग 1.67 करोड़ लोग बाढ़ि सँ प्रभावित अछि। किछु जगह पर बाढ़िक पैन कमबाक खबैर अछि जाहिसँ प्रभावित लोग सभ अप्पन घर लौट रहल छथि, मुदा जता पैन कमल अछि ओता बीमारी पसरबाक डर बनल अछि।
सरकार द्वारा बाढ़ि प्रभावित इलाका म' अस्थिर - अस्थिर राहत शिविर सेहो कम काएल जे रहल अछि। पहिने कुल 624 शिविर बनाओल गेल छल जाहिके कम करि 368 काएल गेल अछि। एहिमे लगभग 1.59 लाख लोग आश्रय ल' रहल छथि। ई जानकारी आपदा प्रबंधन विभाग देलनि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।