गोपालगंज : भीषण सड़क दुर्घटना म' एक महिला केर मौत

गोपालगंज। 26 अगस्त। बरौली थाना क्षेत्र के मिर्जापुर गाम लग एनएच 28 पर सड़क पार करैत घरी एक 70 वर्षीय वृद्धा केर एक पिकअप वैन केर चपेट म' अएला सँ मौके पर मौत भ' गेलनि। घटना के बाद स्थानीय लोग सभ शव क' सड़क पर राखी सड़क जाम केलनि।

बताओल जे रहल अछि कि आए भोर भेल एहि दुर्घटना म' मिर्जापुर निवासी चन्द्रिका यादव केर पत्नी सड़क पार करि एनएच के दोसर दिस बनल बथान पर जाएत छली ओहि घरी तेजी सँ आएब रहल पिकअप वैन म' ओ फैंस गेली। स्थानीय लोग सभक मुताविक पिकअप वैन करीब 100 मीटर धरी महिला क' घसियाबैत रहल, जाहिसँ हुनकर मौत भ' गेलनि। 

दुर्घटना सँ आक्रोशित लोग सभ प्रदर्शन शुरू क' देलनि आओर एनएच 28 क' जाम क देलनि। मृतका महिला केर पहिचान राजकली देवी के रूप म' काएल गेल अछि। स्थानीय लोग सभ तत्काल एहि घटना केर सूचना बरौली थाना क' देलनि। बताओल जे रहल अछि कि कैको घंटा के बादो प्रशासन ओहिठाम नहि पहुँचल। प्रशासन के नहि पहुँचबा पर लोग सभक तामस भडैक उठल आओर ओ सभ बरौली के मिर्जापुर लग शव के संग एनएच 28 क' जाम क' देलनि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ