मुजफ्फरपुर केँ नवा इलाका म' घुसल बाढ़िक पैन, सकरा आओर मुरौल प्रखंड म' तबाही

मुजफ्फरपुर। 28 अगस्त। मुजफ्फरपुर जिलाक मुरौल प्रखंड के मारकन, सम्भा खोर, खासपट्टी, विशनपुर, तितरा आशानंद, कोरिगामा, विद्याझांप, खरौना गाम बाढ़ि सँ घेरा गेल अछि। ओतहि सकरा प्रखंड के  सकरा बाजिद पंचायतक बंगाही, तुलसीमोहनपुर, नरसिंहपुर, सकरा बाजिद, कोठिया, रूपनपट्टी मथुरापुर पंचायत के थतिया व गोपालपुर, सकरा फरीदपुर, रघुनाथपुर दोनमां पंचायत के भठण्डी, सबहा, बसंतपुर झीटकाही, दोनमां आओर मछही पंचायत के सुजावलपुर म' सेहो बाढ़िक पैन तेजी सँ पसैर रहल अछि। सकरा आओर मुरौल प्रखंड म' तेजी सँ पसैर रहल बाढ़िक पैन तबाही मचा रहल अछि।

सकरा के चांदनी चौक सँ पिलखी सड़क पर करीब तीन सँ चैर फीट पैन बैह रहल अछि जखनकि तितरा गाम म' सेहो चैर फीट तक सड़क पर पैन बैह रहल अछि। सकरा बाजिद पंचायत के तुलसीमोहनपुर गाम स्थित मध्य विद्यालय म' बाढ़ि प्रभावित लोकनि डेरा डालने छथि। सकरा अंचल प्रशासन दिस सँ शिविर म' राहत केर व्यवस्था काएल गेल अछि। गोपालपुर गामक लोग प्रशासन सँ नाह उपलब्ध करेबाक मांग क' रहल छथि। 

सकरा प्रखंड के अंचलाधिकारी अजीत कुमार झा कहलनि कि सकरा बाजिद पंचायत म' फंसल करीब 200 परिवार क' उत्क्रमित मध्य विद्यालय तुलसीमोहनपुर म' आओर करीब 150 परिवार क' मध्य विद्यालय बंगाही म' सुरक्षित निकाली राखल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने