नीतीश कुमार पर हमला करैत लालू यादव कहलनि कि हुनका कहियो नीतीश कुमार पर भरोसा नहि छलनी, मुदा सांप्रादायिक ताकत सभके रोकबाक लेल भारी मन सँ विधानसभा चुनाव सँ पहिने महागठबंधन केलनि। आगा ओ कहलनि कि एहि समय एनडीए म' जेभि बिहारक बड़का नेता छथि सभ हुनके प्रोडक्ट्स अछि।
एहि दौरान लालू यादव आरोप लगेलनि कि बिहारक राजनीति म' तेजस्वी यादव केर बढ़ैत डेग सँ नीतीश कुमार परेशान भ' गेल छला। नीतीश कुमार भीतरे भीतर जड़ैत रहथिन, हुनका ई देखल नहि जाएत छलनि कि हुनकर आगू के जनमल जनता म' लोकप्रिय भ' रहल छथि। नीतीश साजिशन तेजस्वी क' कलंकित करबाक लेल महागठबंधन सँ अलग भ' बीजेपी संग गेला।
लालू यादव केर भाषण म' नीतीश कुमारक खिलाफ जबरदस्त तामस नजैर आएल। लालू यादव कहलनि नीतीश पहिने संघ मुक्त करबाक नारा दैत छला, आब खुदे संघ केर कोरा म' बैसल छथि। एहि दौरान लालू यादब सीबीआई छापा के लेल सेहो नीतीश कुमार क' जिम्मेदार बतौलनि। कुल मिला लालू केर निशाना पर बीजेपी के बजाय नीतीश कुमार रहलनि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।