अदालत द्वारा सीबीआई आओर बचाव पक्ष केर वकील सभके अप्पन - अप्पन दलील पेश करबाक लेल 10-10 मिनट केर समय देल गेल। सजा सुनबा सँ पहिने बाबा राम रहीम भरल आँखि सँ हाथ जोड़ी की अदालत सँ रहम केर मांग करैत देखकर देलनि।
गुरमीत राम रहीम केर वकील कहलनि कि राम रहीम समाजसेवी छथि एहिलेल हुनका लेल अदालत क' नरमी बरतबाक चाही। आगा ओ कहलनि कि राम रहीम लोग सभक भलाई लेल काज केना छथि। सफाई अभियान आओर रक्त दान जेहेन सामाजिक काज केना छथि।
ओम्हर सीबीआई द्वारा राम रहीम के लेल बेसी सँ बेसी सजा यानी की आजीवन कारावास केर मांग काएल गेल छल। जांच एजेंसी सभक दलील छल कि ई सिर्फ यौन शोषण केस नहि, बल्कि भरोसा तोड़ैत लगातार यौन शोषण करबाक मामला थीक।
कोर्ट द्वारा दुनू पक्षक दलील सुनबाक बाद राम रहीम केर लेल 20 बरखक कारावास केर सजा केँ घोषणा काएल गेल। अपने क' बता दी राम रहीम केर वकील सभक कुनु भी दलील अदालत म' नहि चैल सकल।
एहि सँ पहिने 25 अगस्त दिन सिरसा केर विशेष सीबीआई अदालत द्वारा डेरा प्रमुख गुरमीत राम रहीम क' साध्वी केर यौन शोषण मामला म' दोषी करार देल गेल छल। जाहिक बाद डेरा समर्थक सभ हरियाणा, पंजाब आओर राजधानी दिल्ली तक म' बहुत हिंसा केना छल। खास तौर पर पंचकूला आओर सिरसा म' पत्थरबाजी, आगजनी आओरतोड़फोड़ के कैको घटना क' अंजाम देना छल। एहि हिंसा म' 37 सँ बेसी लोगक मौत भेल छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।