दू बेटिक हत्या करबाक बाद कनिया केर गर्दैन काटी आरोपी फरार

रोहतास। 24 अगस्त। रोहतास जिलाक बिक्रमगंज थाना क्षेत्र म' एक आदमी कैल्हि देर राति अप्पन दू बेटिक गोली मारी हत्या क' देलनि आओर कनिया क' जान सँ मारबाक नियत सँ धारदार हथियार सँ गर्दैन काटी फरार भ' गेलनि। घायल कनिया केर इलाज एक स्थानीय अस्पताल म' चैल रहल अछि, जता हुनकर स्थिति गंभीर बताओल जे रहल अछि। 

बिक्रमगंज के थाना प्रभारी मोहम्मद अकरम कहलनि कि मृतक सभक पहचान तान्या (13) आओर तनु (11) के रूप म' काएल गेल अछि। मोहम्मद अकरम कहलनि कि आरोपी केर पहचान ललित के रूप म' काएल गेल अछि। ललित क' एक बेटा सेहो अछि जे संयोग वस घटनाक समय एक रिश्तेदार लग गेल छल। 

थाना प्रभारी कहलनि कि हत्या केर कारणक एखन धरी पता नहि चलल अछि,  मुदा ग्रामीण सभक मुताबिक ललित कैको दिन सँ तनाव म' देखकर दैत रहथिन। बहरहाल पुलिस आरोपी के गिरफ्तारी लेल छापामारी क' रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ