भागलपुर। 24 अगस्त। बिहार केँ सभसँ बड़का घोटाला सृजन घोटाला केर जांच सीबीआई सँ करेबाक लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा केंद्र सँ अनुशंसा काएल गेल छल। जाहिके केंद्र सरकार मंजूरी द' देलनि। आब सृजन घोटाला केर जांच सीबीआई करत।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा विपक्ष केर मांग पर एहि घोटाला केर जांच सीबीआई सँ करेबाक आदेश देल गेल छल। नीतीश कुमार के आग्रह पर केंद्र ऐहिके मंजूरी द' देलनि। आब एहि घोटाला केर जांच पूरा तरहे सीबीआई करत। गौरतलब अछि कि घोटाला उजागर भेला पर मामलाक जांच लेल सरकार द्वारा एसआईटी केर गठन काएल गेल छल। एखन धरी एहिमे 870 करोड़क घोटाला केर उजागर भेल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।