गौरवशाली इतिहास राखै बला केदली पंचायत के केदली व असय गामक अस्तित्व मेटबाक कगार पर पहुंच गेल अछि। एहिठाम कटाव केर तीव्रता पल भरी म' सभक आशियाना उजैड़ देलनि आओर पीड़ित सभ क' अप्पन सामान तक सुरक्षित करबाक मौका नहि देलनि।
कटाव केर दंश झेल रहल परिवार सभ सुरक्षित स्थान के खोज म' निकैल चुकल छथि। हालात एहेन अछि जिनका जता जगह भेट रहल अछि ओ ओतहि भागबाक लेल आतुर छथि। प्रशासन दिस सँ विस्थापित सभक लेल सरकारी मदैद नाकाफी साबित भ' रहल अछि। पुनर्वास करबाक कोनो प्रत्यक्ष व्यवस्था नहि अछि।
स्थानीय लोग सभक कहब अछि कि कटाव केर सभसँ बेसी शिकार केदली, हाटी, असय, पहाड़पुर, सहित आधा दर्ज़न पंचायत के दर्ज़नों गाम अछि। बेहाल विस्थापित परिवार सभक लेल सरकारी मदैद खानापूर्ति बनि रही गेल अछि।
स्थानीय समाजसेवी केशर कुमार कहलनि कि 2008 केर आपदा सँ प्रशासन क' कुनु सबक नहि भेटल। प्रशासन पहिने सँ कुनु डेग नहि उठाओल गेल। राहत विस्थापन शिविर सभ म' पीड़ित सभक लेल एखन धरी मूलभूत सुविधा आओर राहत सामग्री नहि पहुँचल अछि।
बहरहाल, एक दिस लोग सभक भीतर सभ किछु हरेबाक ग़म अछि तेँ दोसर दिस सरकारी निष्क्रियता आओर उदासीनता केर खिलाफ आक्रोश। विस्थापित सभक आक्रोश सड़क पर आबे ओहिसँ पहिने जरूरत अच्छी पीड़त परिवार सभक शीघ्र मदैद काएल जाए।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।