
पटना। 21 अगस्त। राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद केर परिवार पर एक बेर फेर सँ इनकम टैक्स आओर सीबीआई शिकंजा कसलनि। एहि बेर राज्यसभा सांसद मीसा भारती, हुनक पति शैलेश कुमार, चंदा यादव, पूर्व उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव, राबड़ी देवी सभके नोटिस भेजल गेल अछि। एक दिस जता सीबीआइ तेजस्वी यादव सँ रेलवे होटल घोटाला मामला म' पूछताछ करत ओतहि बिहार के पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी हुनकर बेटी मीसा भारती, दामाद शैलेष यादव आओर बेटी चंदा यादव सँ आय स' बेसी संपत्ति मामला म' पूछताछ काएल जाएत।
सीबीआइ रेलवे होटल घोटाला मामला केर जांच क' रहल अछि आओर ओहिमे तेजस्वी यादव के नाम सेहो शामिल अछि जाहि कारण सीबीआई हुनका सँ पूछताछ करत। अपने क' बता दी सीबीआई बिहार के पूर्व उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव सँ पटना म' पूछताछ करत संगहि पटने म' राबड़ी देवी सँ इनकम टैक्स केर टीम पूछताछ करत। इनकम टैक्स मीसा भारती आओर शैलेश कुमार के बयान सेहो दर्ज करत। लालू प्रसाद के बेटी चंदा यादव क' सेहो इनकम टैक्स केर नोटिस पर IT के दिल्ली दफ्तर म' पूछताछ लेल बजाओल जाएत।
रेलवे होटल केर निविदा म' भेल घोटाला मामला म' तेजस्वी यादव सँ आब सीबीआई पूछताछ करत। सीबीआई केर जांच म' कथित अनियमितता म' तेजस्वी यादव केर संलिप्तताक संबंधित जांच काएल गेल आओर एहि मामला पर सीबीआइ आब जांच क' आगू बढ़ायत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।