भगवान भरोसे कटिहार, बिहारक बाढ़ि राष्ट्रीय आपदा घोषित हो : पप्पू यादव

कटिहार। 22 अगस्त। जन अधिकार पार्टी केर नेता आओर मधेपुरा केर  सांसद पप्पू यादव बाढ़ि ग्रस्त क्षेत्र सभक दौरा करबाक बाद सरकार क' चेतावनी देना छथि। पप्पू यादव कहलनि कि आगामी 25 अगस्त क' ओ हाईकोर्ट म' जनहित याचिका दाखिल करि अदालत सँ न्याय केर गुहार लगेथिन। पप्पू यादव सरकार सँ बाढ़ि क' राष्ट्रीय आपदा घोषित करबाक मांग सेहो केलनि।

मधेपुरा के सांसद पप्पू यादव कहलनि कि ओ माननीय हाईकोर्ट सँ अपील करता कि सरकार सँ पूछल जाए कि आखिर आखिर कहिया धरी बाढ़ि म' लोग मरैत रहत। हर बरख बाढ़िक नाम पर आवंटित काएल जे रहल  अरबों टाकाक सरकार की उपयोग केलनि। 

बाढ़ि प्रभावित क्षेत्र म' सरकारी आओरप्रशासनिक अनदेखी सँ क्षुब्ध पप्पू यादव कहलनि कि जन अधिकार पार्टी बाढ़िक नाम पर भ' रहल  करोड़ों टाकाक लूट-खसोट केर खिलाफ आब आओर चुप नहि बैसत। कटिहार केर जनता भगवान भरोसे छथि आओर मौतक जिनगी जी रहल छथि। आगा ओ कहलनि कि बाढ़िक त्रासदी म' सभसँ बेसी कटिहार, पूर्णिया, अररिया आओर किशनगंज जिला प्रभावित भेल अछि।

अपने क' बता दी कैल्हि देर राति कटिहार के रेलवे परिसदन म' बातचीत करैत लोकसभा सदस्य पप्पू यादव कहलनि कि हुनकर लड़ाई एहेन लोग सभक खिलाफ अछि जे बाढ़ि जेहेन प्राकृतिक आपदा म' सेहो करोड़ों टाकाक बंदरबांट म' लागल छथि। पप्पू यादव कहलनि कि जन अधिकार पार्टी आब आर-पार केर लड़ाई लड़त। 25 अगस्त क' जनहित याचिका दायर करबाक बाद आगामी 29 अगस्त क' पूरा सूबे म' धरना केर  कार्यक्रम राखल जाएत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने