700 करोड़क सृजन घोटाला आरोपी महेश मंडल केर मौत, परिवार लगौलनि पुलिस पर आरोप

भागलपुर। 21 अगस्त। 700 करोड़क सृजन घोटाला केर आरोपी महेश मंडल के कैल्हि रविदिन मौत भ' गेलनि। महेश मंडल किडनी आओर कैंसर केर बीमारीक इलाज करा रहल छथि। महेश मंडल केर गिरफ्तारी पछिला रविदिन भागलपुर सँ भेल छल, ओनाकि गिरफ्तारी के बाद सेहो हुनकर इलाज एक अस्पताल म' चली रहल छल। महेश मंडल के परिवारक लोग सभके आरोप अछि कि महेश केर मौत जेल आओर पुलिस केर लापरवाही सँ भेल। 

महेश मंडल ज़िला कल्याण विभाग म' नाजिर छलाह आओर एहि घोटाला के सामना अएबाक बाद हुनका निलंबित क' देल गेल छलनि। अप्पन गिरफ्तारी के बाद महेश मंडल द्वारा अप्पन संपत्ति केर जे ब्योरा देल गेल छल ओ बहुत चौकाबाई बला छल। हुनकर गाम म'  डेढ़ एकड़ के विशाल घर भेटल छल, जाहिक चर्चा अछि कि हर कमरा नहि सिर्फ वातानूकुलित छल, बल्कि बाथरूम म' सेहो एयरकंडीशन लागल छल। महेश मंडल के  बेटा शिव मंडल जनता दल यूनाइटेड के भागलपुर इकाईक युवा विंगक अध्यक्ष छल आओर एहि मामला केर प्रकाश म' अएबाक बाद हुनको पार्टी सँ बाहर कएल गेल छल।

शिव मंडल जिला परिषद केर सदस्य छथि आओर अपना संग पूछताछ म' महेश मंडल मानने छलखिन कि जिला परिषद केर अध्यक्षक चुनाव म' ओ करीब 3 करोड़ ख़र्च केलनि, मुदा चुनाव म' हुनकर बीटा शिव मंडल क' पराजय हाथ लागलनि। एहि बीच भागलपुर पुलिस द्वारा कैल्हि रविदिन आरोपी आओर आब भाजपा सँ निलंबित नेता विपिन शर्मा समेत कैको लोगक ठिकाना पर छापामारी काएल गेल। एहि म' बेसी आरोपी  सभक सृजन केर काला कमाई सँ शुरू काएल गेल व्यावसायिक प्रतिष्ठान अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने