बिहार म' बाढ़िक स्थिति पर गृह मंत्री राजनाथ सिंह केलनि नीतीश कुमार सँ बात

पटना। 14 अगस्त। केंद्रीय गृह मंत्री राजनाथ सिंह मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सँ बात केलनि आओर राज्य म' बाढ़िक स्थिति पर चर्चा केलनि। बिहार म' बाढ़िक स्थिति क' देखैत एनडीआरएफ के करीब 320 कर्मी क' भेजल गेल अछि।

टेलीफोन पर भेल बातचीत केर दौरान नीतीश कुमार गृह मंत्री को' राज्यक मौजूदा हालत केर जानकारी देलनि। राजनाथ सिंह ट्विटर केलनि कि केंद्र द्वारा राज्य के बाढ़ि प्रभावित क्षेत्र म' चैल रहल राहत एवं बचाव अभियान म' मदैद करबाक लेल एनडीआरएफ के अतिरिक्त टीम रवाना काएल गेल अछि।  

गृह मंत्रालय के एक वरिष्ठ अधिकारी कहलनि कि एनडीआरएफ के करीब सात टीम पहिने बिहार के बाढ़ि प्रभावित क्षेत्र म' पहुंच चुकल अछि। हर टीम म' 45-45 कर्मचारी अछि। अपने क' बता दी हालहि म' राज्य म' बारिश सँ संबंधित एक घटना म' दू लोगक मौत भ' गेल छल। मौसम विभाग राज्य म' आबै बला दिन म' भारी बारिश होयबाक अनुमान व्यक्त केना अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने