10 हजार टाका घूस लैत मोतिहारी के दारोगा अमित वर्मा गिरफ्तार

मोतिहारी। 12 अगस्त। घूस लैत भोतपुर ओपी प्रभारी अमित वर्मा क' निगरानी द्वारा रंगल हाथ पकड़ल गेल। माईरपीटक एक मामला म' एफआईआर दर्ज करब आओर केस म' मदैद करबाक लेल अमित वर्मा 10 हजार टाका घूस लेना रहथिन।

बताओल जे रहल अछि कि भोपतपुर रहिवासी वकील सहनी निगरानी सँ शिकायत केलनि कि माईरपीटक एक मामला म' एफआईआर दर्ज करबाक लेल ओपी प्रभारी अमित वर्मा घूस के रुप म' 10 हजार टाकाक मांग केलनि। शिकायत भेटलाक बाद निगरानी टीम द्वारा ऐहिक सत्यापन काएल गेल। मामला सत्य सावित भेलाक बाद निगरानी टीम द्वारा एक जाल बिछाओल गेल, जाहिमे अमित वर्मा फैंस गेला।

वकील सहनी क' टाका ल'क' निगरानी टीम ओपी प्रभारी अमित वर्मा के घर भेजलैन्ह। ओता जखन अमित वर्मा सहनी सँ टाका लैत रहथिन तखन  निगरानी टीम हुनका रंगल हाथ गिरफ़्तार केलनि।

बताओल जे रहल अछि कि वकील सहनी के अप्पन पट्टीदारक संग  माईरपीट भेल छल। जाहिमे वकील सहनी आओर हुनक परिवार के लोग जख्मी भ' गेल छल। जिनका इलाजक लेल मुजफ्फरपुर एसकेएमसीएच म' भर्ती कराओल गेल छल। एहि माईरपीट के मामला के बयान एसकेएमसीएच म' भेल छल आओर ओतहि सँ एफआईआर दर्ज करबाक लेल भोपतपुर फर्द बयान आयल छल। जाहि मामला म' भोपतपुर प्रभारी रिश्वत केर मांग केना रहथिन।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने