राज्य सरकार द्वारा केंद्र सँ आर्मी के संगे - संग राहत एवं बचाव के लेल वायुसेना के सेहो मदैद मांगने अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि कि ओ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आओर केंद्रीय गृहमंत्री राजनाथ सिंह सँ अनुरोध केना छथि कि बाढ़ि प्रभावित लोग सभके राहत एवं बचावक लेल केंद्र द्वारा हर संभव मदैद मुहैया कराओल जाए, जाहि पर दुनू गोटा हर संभव मदैद करबाक आश्वासन देलनि।
राज्य म' सीमांचल आओर कोशी इलाका के लगभग आधा दर्जन जिला पछिला तीन दिनक दौरान भेल भारी बारिश के कारण बुरी तरहे प्रभावित अछि। बिहारक सभ प्रमुख नदि भारी बारिश के बाद सँ उफान पर अछि।
प्राप्त सूचनाक मुताविक सैकड़ों गाम बाढ़िक पैन म' डूबल अछि, जाहिक कारण लाखो लोग प्रभावित छथि। आपदा प्रबंधन विभाग के अधिकारी कहलनि कि राज्य सरकार अप्पन कर्मचारी सभके सतर्क केलनि अछि, आओर बाढ़ि प्रभावित किशनगंज, अररिया, पूर्णिया, कटिहार, पश्चिम चंपारण, सहरसा, आओर सुपौल जिला म' लोगसभके खाली करबाक आदेश देना अछि।
बाढ़िक कारण सँ पूर्वोत्तर के राज्य सँ भारतीय रेलवे के संपर्क टूईट गेल अछि। ओतहि, एनडीआरएफ के 10 टीम बिहार म' बाढ़ि प्रभावित इलाका म' कमान सम्हारने अछि।
अपने क' बता दी सुपौल, सहरसा, बाघा, गोपालगंज, मधुबनी, सीतामढ़ी, खगड़िया, दरभंगा आओर मधेपुरा जिलाक कैको गाम म' बाढ़िक पैन घुसलाक बाद लोग सभ अप्पन घर सँ बाहर निकैल उंच जगह पर पहुँच गेल छथि। अररिया आओर किशनगंज म' कैको रेलवे स्टेशन बाढ़िक पैन म' डूबल अछि, जाहिक कारण कैको यात्री फंसल छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।