हेडमास्टर पर प्रखंड प्रमुख क' पीटबाक आरोप, जिला प्रमुख संघ केलनि डीएम सँ कार्रवाई करबाक मांग

गोपालगंज। 05 अगस्त। गोपालगंज म' स्कूल के जांच करे पहुँचल प्रखंड प्रमुख क' स्कूल हेडमास्टर द्वारा पीटल गेल। पिटाई सँ नाराज जिला प्रमुख संघ डीएम क' ज्ञापन सौंप आरोपी हेडमास्टर केर खिलाफ करवाई करबाक  मांग काएल गेल। जिला प्रमुख संघ केर आरोप अछि कि घटना के 24 घंटा बितलाक बादो आरोपी शिक्षक केर खिलाफ करवाई तँ दूर एखन धरी प्राथमिकी तक दर्ज नहि काएल गेल अछि। 

ई घटना मांझा पूर्वी शेखटोली स्थित नवसृजित प्राथमिक विद्यालय म' घटल। मांझा के प्रखंड प्रमुख छोटे लाल साह केर मुताबिक गुरुदिन ओ स्कूलक निरीक्षण करे गेल छला। टखने प्राइमरी स्कूल के प्राचार्य रामबालक मिश्र हुनकर पिटाई क' देलनि आओर धमकी दैत हुनका गर्दैन स' चेन सेहो छीन लेलनि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने