बाढ़िक प्रकोप सँ मिथिलाक कैको गाम बनल टापू, कमला बलान के पश्चिमी तटबंध टूटल

मधुबनी। 14 अगस्त। नेपाल के बीरपुर बराज सँ लाखों क्यूसेक पैन छोड़बाक कारण सँ कोसी आओर कमला बलान ख़तरा केर निशान सँ ऊपर बही रहल अछि। नदि सभक तांडवक एहि बात सँ अंदाजा लगाओल जे सकैत अछि कि दरभंगा के रसियारी म' कमला बलान के पश्चिमी तटबंध टूईट गेल अछि तैयो तटबंध पर पैनक दबाव कम नहि भ' रहल अछि।

मधुबनी के पश्चिमी क्षेत्र म' धौंस, जमनी आओर बेलनौत नदी के तटबंध केर कैको जगह टुटला सँ मधवापुर आओर हरलाखी प्रखंड के कैको गाम म' बाढ़िक पैन घुईस गेल अछि। हरणे, हरलाखी, परसा, फुलहर, गंगौर, हिसार, हिजनगर, महतो टोल, पहवारा, भौगाछ, पतार आओर सोबरौल सहित कैको गम टापू म' बदैल गेल अछि। हजारों एकड़ म' लागल फसल बर्बाद भ' चुकल अछि। सभ दिस पैने पैन नजैर आएब रहल अछि। बेनीपट्टी - मधवापुर सड़क पर करीब तीन फीट पैन बही रहल अछि।
एम्हर, झंझारपुर के परतापुर म' कमला बलान के पूर्वी तटबंध पर पैन बहुत दबाव बनेना अछि। तटबंध टुटबाक आशंका सँ लोग ऊंच स्थान लेल  पलायन क' रहल छथि। मधेपुर प्रखंड पूरा तरहे बाढ़ि सँ प्रभावित अछि। 

ओनाकि एसडीआरएफ के टीम राहत काज म' लागल अछि। जिला प्रशासन द्वारा राहत शिविर लगा बाढ़ि प्रभावित लोग सभक लेल भोजन, पैन आओर दबाई केर व्यवस्था काएल जे रहल अछि। ओतहि, जिलाधिकारी कपिल अशोक आओर पुलिस अधीक्षक दीपक बरनवाल स्वयं घूईम-घूईम क' राहत काजक जायजा ल' रहल छथि।

एक टिप्पणी भेजें

1 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।