बिहारक सभ मेडिकल कॉलेज म' होएत 'आई बैंक' केर स्थापना : नीतीश कुमार

पटना। 14 अगस्त। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि कि सभ मेडिकल कॉलेज म' होएत 'आई बैंक' केर स्थापना। नीतीश कुमार पटना स्थित विद्यापति भवन म' अंतरराष्ट्रीय अंगदान दिवस केर अवसर पर दधीचि देहदान समिति द्वारा आयोजित एक कार्यक्रम केर उद्घाटन करैत कहलनि  कि अंगदान एक बड़का सामाजिक अभियान थीक। अंगदान केला सँ अहाँ जीवित नहि रहब, तैयो याद करल जाएब। 
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि कि मेडिकल कॉलेजों म' पढ़ाई क' रहल छात्र सभके सेहो मानव शरीर केर आवश्यकता अध्ययन करबाक लेल होएत अछि। अंगदान करबाक अभियान विलक्षण अभियान अछि, हम ऐहिक प्रशंसा आओर समर्थन करैत छी। आगा ओ कहलनि कि ई निर्णय लेल गेल अछि कि बिहारक सभ मेडिकल कॉलेज म' 'आई बैंक' केर स्थापना काएल जाएत। 

बिहार म' सुपर स्पेशियेलिटी अस्पताल बनाओल जे रहल अछि। राजेंद्र नगर के अस्पताल क' आई सुपरस्पेशियेलिटी अस्पताल के रूप म' विकसित काएल जे रहल अछि, ओतहु 'आई बैंक' केर स्थापना काएल जाएत। आगा ओ कहलनि कि इंदिरा गांधी आयुर्विज्ञान संस्थान म' 'किडनी ट्रांसप्लांटेशन' केर शुरुआत काएल जे चुकल अछि, जल्दे एहिठाम   'लिवर ट्रांसप्लांटेशन' केर शुरुआत सेहो भ' जाएत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने