भ्रष्टाचार पर लालू संग छोड़ै बला मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के 22 मंत्री दागी

पटना। 02 अगस्त। बिहार म' बनल नवा सरकार के बहुत रास मंत्रि सभक  खिलाफ आपराधिक मुकदमा दर्ज अछि। एसोसिएशन फॉर डेमोक्रेटिक रिफॉर्म्स (एडीआर) के रिपोर्टक मुताबिक, मौजूदा सरकार के 29 म' 22 मंत्रिय सभक खिलाफ आपराधिक मामला दर्ज अछि। ई रिपोर्ट बिहार एलेक्शन वॉच आओर एडीआर दिस सँ मुख्यमंत्री सहित 29 मंत्री सभक चुनावी हलफनामा के विश्लेषणक बाद तैयार काएल गेल अछि। 
रिपोर्ट म' इयो कहल गेल अछि कि 22 मंत्री सभमे 9 के खिलाफ गंभीर आपराधिक मामला दर्ज अछि। गौरतलब अछि कि 26 जुलाई दिन नीतीश कुमार बिहार के मुख्यमंत्री पद सँ इस्तीफा द' देना छथि, जाहिक बाद 20 मास पुरान महागठबंधन सरकार गिर गेल छल। ऐहिक बाद नीतीश कुमार बीजेपी केर मदैद सँ बिहार म' नवा सरकार बनेलथि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने