शरद यादव पर ई कार्रवाई पार्टी केर खिलाफत करबाक लेल काएल गेल अछि। अपने क' बता दी शरद यादव एखन बिहार दौरा पर छथि। अगर शरद यादव राष्ट्रीय कार्यकारिणी के बैठक म' शामिल नहि होएत छथि तेँ हुनका पार्टी सँ निलंबित सेहो काएल जाएत।
जेडीयू नेता नीरज कुमार पार्टी केर फैसला क' सही करार दैत कहलनि कि हुनका पर कार्रवाई करब जरूरी छल। ओ बेवजह पार्टी केर खिलाफ अनाप - शनाप बयान द' रहल छथि। हुनका अप्पन पदक गरिमा आओर पार्टीक शुचिता के सेहो ख्याल नहि छैन्ह। ओ आब लालू यादव के भाषा बाजे लागल छथि आओर लालू यादव के भ्रष्टाचार म' हुनक संग द' रहल छथि। ऐना म' पार्टी नेतृत्व हुनका पर ई कार्रवाई केना अछि जे बिल्कुल सहि अछि।
ओतहि राजद प्रवक्ता भाई वीरेंद्र कहलनि कि जेडीयू क' शरद यादव पर कार्रवाई करबा महग पड़त। जे शरद यादव नीतीश कुमार क' मुख्यमंत्री बनेना छथि। जेडीयू के ओ संस्थापना कालक नेता छथि आओर हुनका पर एहि तरहक कार्रवाई नीतीश कुमार क' महग पड़त।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।