दरभंगा केँ बिरौल क' भेटल नगर परिषद केर दर्जा, बिरौल वासी सभक बिच खुशीक लहर

दरभंगा। 22 अगस्त। कैल्हि सोमदिन राजधानी पटना म' आयोजित कैबिनेट बैठक म' आठ महत्वपूर्ण एजेंडा पर मोहर लगाओल गेल। एहि बैठक म' दरभंगा जिलाक बिरौल क' नगर परिषद केर दर्जा देबाक फैसला काएल गेल।

दरअसल, बहुते पहिने सँ बिरौल क' नगर परिषद बनेबाक मांग काएल जे रहल छल। स्थानीय विधायक मदन सहनी द्वारा सेहो मंत्री बनलाक बाद लोग सभके भरोसा दियाओल गेल छल कि ओ बिरौल क' नगर परिषद केर  दर्जा दिएबाक हर तरहक कोशिश करता।

अपने क' बता दी समय-समय पर स्थानीय सामाजिक संगठन सभ सेहो एहि मांग क' उठबैत रहल छल आओर सभक दलील छल कि एहिसँ पहिने   दरभंगा जिलाक बेनीपुर क' नगर परिषद केर दर्जा भेट चुकल छल। बताओल जे रहल अछि कि एहि बातक जानकारी भेटलाक संगहि बिरौल वासी सभक बिच खुशीक लहर दौड़ गेल अछि। स्थानीय लोग सभ एहि फैसलाक लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क' धन्यवाद देलनि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने