प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी जल्दे करथिन बाढ़ि प्रभावित इलाका केर दौरा

पटना। 22 अगस्त। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी जल्दे मिथिला समेत सगर बिहारक बाढ़ि प्रभावित इलाका सभक दौरा करथिन। ई जानकारी बिहार के उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी देलनि। सुशील मोदी भाजपा कार्यालय म' आयोजित मुख्यमंत्री आओर उप-मुख्यमंत्री सभक बैठक म' शामिल भेलाक बाद ऐहिक जानकारी देलनि। 

अपने क' बता दी पड़ोसी देश नेपाल आओर बिहार म' लगातार भेल भारी बारिश केर कारण एकाएक आएल बाढ़ि सँ प्रदेश म' एखन धरी 400 सँ बेसी मौत भ' चुकल अछि, ओना सरकारी आंकड़ा केर मुताविक एखन धरी 304 लोगक मौत भेल अछि। बिहार के18 जिलाक एक करोड 38 लाख 50 हजार आबादी बाढ़ि सँ प्रभावित भेल अछि। 

बाढ प्रभावित प्रदेश के 18 जिला किशनगंज, अररिया, पूर्णिया, कटिहार, पूर्वी चंपारण, पश्चिमी चंपारण, दरभंगा, मधुबनी, मुजफ्फरपुर, सीतामढी, शिवहर, समस्तीपुर, गोपालगंज, सारण, सुपौल, मधेपुरा, सहरसा आओर  खगडिया प्रभावित भेल अछि। प्राप्त जानकारी केर मुताविक एखन धरी अररिया म' 71, सीतामढी म' 34, पश्चिमी चंपारण म' 29, कटिहार म' 26, मधुबनी म' 22, पूर्वी चंपारण आओर दरभंगा म' 19-19, मधेपुरा म' 15, सुपौल म' 13, किशनगंज म' 11, पूर्णिया आओरगोपालगंज म' 9-9, मुजफ्फरपुर म' 7, खगडिया आओरसारण म' 6-6, शिवहर आओर सहरसा म' जिला म' 4-4 लोगक मौत भेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ