जनादेश केर खिलाफ जेबाक लेल इतिहास नीतीश क' नहि करत माफ : अली अनवर

पटना। 12 अगस्त।  जेडीयू सँ निलंबित नेता अली अनवर नीतीश कुमार पर हमला करैत कहलनि कि नीतीश कुमार अप्पन सरकार बचेबाक लेल राष्ट्र केर बलिदान द' देलनि। ऐहिक लेल बिहारक जनता हुनका कहियो  माफ नहि करत। बिहारक जनता महागठबंधन केर पक्ष म' अप्पन जनादेश देना रहथिन। नीतीश कुमार सत्ता म' रहबाक लेल राष्ट्र केर बलिदान द' देलनि। इतिहास हुनका माफ नहि करत, हम देश भरी म' जाएब आओर लोग सभके कहब की भेल अछि। 

ओतहि, विपक्ष के बैठक म' शामिल होयबाक फैसला क' सही ठहराबैत अली अनवर कहलनि कि हम एखनहुँ लोग सभक जनादेश के पालन क' रहल छी। नीतीश कुमार जनादेश केर खिलाफ चल गेला। हम एखनहुँ जनादेश के पालन क' रहल छी, जे महागठबंधन केर पक्ष म' छल। जे  जनादेश क' बदलैत छथि, हुनका पर सवाल उठेबाक चाही। 

अपने क' बता दी कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी द्वारा बजाओल गेल विपक्षी बैठक म' अली अनवर के भाग लेबा पर जेडीयू कैल्हि शुक्रदिन हुनका पार्टी सँ निलंबित क' देलनि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने