मुंबई। 18 अगस्त। [जितमोहन झा (जितू)] आए सम्पूर्ण मिथिलांचल इलाका बाढ़िक विभीषिका सहबाक लेल मजबूर अछि। मिथिलांचल क्षेत्र म' बाढ़िक कहर सँ एखन धरी 131 लोगक मौत भ' चुकल अछि। ओतहि मिथिलांचल केँ मुजफ्फरपुर, किशनगंज, अररिया, गोपालगंज, पूर्णिया, कटिहार, पूर्वी चंपारण, पश्चिमी चंपारण, दरभंगा, मधुबनी, सीतामढ़ी, शिवहर, सुपौल, सहरसा आओर मधेपुरा जिला बाढ़िक चपेट म' अछि।
सोचबाक गप ई जे आजादी के 70 बरख बादो मिथिलांचल वासी हर बरख बाढ़िक विभीषिका झेलैत छथि। शुरू सँ एखन धरी केंद्र आओर राज्य दुनू सरकार म' मिथिलांचल केर नेता लोकनिक वर्चस्व रहल अछि, बावजूद एकर हर बरख राहत आओर खैरात बांटबाक नौबत किएक आबैत अछि ?सरकार एहि विभीषिका केर अस्थाई निदान किएक नहि करैत अछि ?
मैथिल सेहो चुरा दही म' मस्त रहैत छथि। जातिय आधार पर वोट द' निश्चिन्त भ' जाएत छथि। कखनो अप्पन इलाका के जनप्रतीनिधी सँ कुनू तरहक सवाल नहि करैत छथि। आए बाढ़ि प्रभावित लोग सभ क' सरकार दिस सँ राहत सामिग्री के रूप म' 5 किलो चुरा आओर एक पन्नी भेट रहल अछि, केहेन मजाक थीक? इयो राहत सामिग्री बाढ़ि प्रभावित सभ क्षेत्र म' नहि पहुंच रहल अछि। सरकार द्वारा खैरात बांटल जे रहल अछि आओर हम सभ ओ खैरात ल' खुश भ' जाएत छी। मानवाधिकार बला क' कश्मीर के पत्थरबाज म' मानवाधिकार देखार दैत छैन्ह मुदा, मिथिलांचल म' हर बरख बाढ़िक विभीषिका सँ हजारो जान जाएब मानवाधिकारक हनन नहि बुझैत छैन्ह।
सरकार केर संगे संग मैथिल - मिथिला सँ सम्बंधित संगठन सभ सेहो मिथिलांचल वासी क' ठगबा म' कुनू कसर नहि छोड़ैत अछि। आए देश भरी म' हजारो संगठन अछि जे मैथिल - मिथिलाक नाम पर चलाओल जे रहल अछि। मैथिल मिथिलाक नाम पर दिल्ली, मुंबई, कोलकत्ता समेत सगर देश म' विद्यापति समारोह, विद्यापति स्मृति पर्व समारोह, जानकी जयंती, मिथिला दिवस मनेबाक लेल रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम केर पाछा लाखो टाका खर्च करनिहार संगठन केर पदाधिकारी लोकनि क' मिथिलाक बाढ़िक विभीषिका नहि देखार दैत छैन्ह? आओर यदि देखार दैत छैन्ह तेँ ओ सभ कता नुकाओल छथि।
मिथिलांचल केर राजनितिक पार्टी सभके सदिखन शिकायत रहैत छैन्ह जे मैथिल हुनका वोट नहि दैत छथि। किएक देत वोट? जखन किनको मैथिल सँ कुनु सरोकार नहि अछि आओर यदि सरोकार रहतिये तेँ एहि बाढ़िक विभीषिका म' देखकर देतिया। वोट मांगबाक लेल जाए बला मिथिलाक राजनितिक पार्टी सभक नेता लोकनि मैथिलक एहि दुःखक घरी म' कते नुकाओल छथि ?
हमरा चाही "मिथिला राज्य" यौ श्रीमान मुंबई, दिल्ली आओर कोलकत्ता म' बनत मिथिला राज्य ? मिथिला राज्य अभियान क' बल तखने भेटत जखन अभियानी लोकनि मिथिलाक माटी संग जुडता। मिथिला राज्य अभियानी लोकनि मिथिलाक माटी संग कटे जुड़ल छथि एखुनका बाढ़िक स्थिति देखैत आगू किछु कहबाक जरुरत नहि बुझैत अछि।
मिथिला दैनिक टीम "मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU)" केर सेनानी लोकनि क' सलाम करैत अछि, किएक जे मैथिल - मिथिला सँ सम्बंधित ई एक मात्र संगठन एखन धरी बाढ़ि पीड़ित मैथिलक मदैद म' डटल अछि।
हमरा चाही "मिथिला राज्य" यौ श्रीमान मुंबई, दिल्ली आओर कोलकत्ता म' बनत मिथिला राज्य ? मिथिला राज्य अभियान क' बल तखने भेटत जखन अभियानी लोकनि मिथिलाक माटी संग जुडता। मिथिला राज्य अभियानी लोकनि मिथिलाक माटी संग कटे जुड़ल छथि एखुनका बाढ़िक स्थिति देखैत आगू किछु कहबाक जरुरत नहि बुझैत अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।