माटि घोटाला म' तेजप्रताप यादव केर खिलाफ शुरू भ' सकैछ जांच


पटना। 31 जुलाई। तेजस्वी यादव के बाद आब तेजप्रताप यादव के  मुश्किल सेहो बरहै बला अछि। माटि घोटाला म' तेजप्रताप केर खिलाफ सरकार जांच करेबाक तैयारी क' रहल अछि। लालू प्रसाद के बड़का बेटा आओर पूर्व स्वास्थ्य मंत्री तेजप्रताप यादव जांच के दायरा म' छथि। मॉल निर्माण केर दौरान चिड़ियाघर सँ माटि किनबाक मामला म' वन एवं पर्यावरण विभाग ऐहिक पड़ताल शुरू क' देना अछि। नवा सरकार के गठन होएबाक बाद वन एवं पर्यावरण मंत्रालय उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी लग अछि आओर सुशील मोदी एहिसँ जुड़ल सभ फाइल अपना लग मंगेना छथि।


90 लाख टाकाक माटी घोटाला म' पछिला सरकार म' जांच शुरू भेल छल मुदा कुनु नतीजा नहि निकलल छल। एनडीए के सरकार गठन होएबाक बाद सरकार माटि घोटालाक जांच विजिलेंस सँ करेबाक तैयारी क' रहल अछि। ओतहि, उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी पूरा मामला पर नजैर बनेना छथि। अपने क' बता दी मॉल निर्माण काज पर केंद्रीय वन एवं पर्यावरण मंत्रालय रोक लगेना अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ