बिहार पुलिस म' 9900 सिपाही पदक लेल भर्ती, ऑनलाइन होएत आवेदन

पटना। 31 जुलाई। बिहार पुलिस म' सिपाही पदक लेल बंपर भर्ती निकलल अछि। एहि पदक लेल ऑनलाइन आवेदन सेंट्रल सेलेक्शन बोर्ड ऑफ कांस्टेबल (सीएसबीसी) के वेबसाइट पर स्वीकार काएल जाएत।  आवेदन शुल्क सेहो ऑनलाइन जमा होएत। एहि भर्ती के लेल आवेदन 30 अगस्त 2017 तक स्वीकार काएल जाएत। भर्ती संबंधी विस्तृत जानकारी के लिए www.csbc.bih.nic.in देखि वा ऐता क्लिक करि। 

योग्यता : आवेदक करबाक लेल इंटर उतीर्ण होएब जरुरी अछि। सामान्य एंव पिछड़ा वर्गक पुरुख के लेल कमसँ कम ऊंचाई 165 सेंटीमीटर, अत्यंत पिछड़ा के लेल 162, एससी आओर एसटी के लेल 160 व महिला सभक लेल155 सेंटीमीटर ऊंचाई अनिवार्य अछि। अभ्यर्थी सभक उम्र एक जून, 2017 के आधार पर 18 सँ 25 बरखक बीच होएबाक चाही।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने