पोखैर म' नहाय लेल पहुँचल 9 बुच्चिया डूबल, 5 के मौत

दरभंगा। 31 जुलाई। घनश्यामपुर थाना के कोर्थ पश्चिमी टोलाक एक पोखैर म' कैल्हि रविदिन नेहेबाक लेल गेलनौ बुच्चिया म' पांच के डूबला सँ मौत भ' गेल। एहि बाबत ग्रामीण सभक मदैद सँ चारि बुच्चिया क' डूबबा सँ बचा लेल गेल।  

एहि घटनाके खबैर भेटला पर पहुँचल पुलिस सभक बेनीपुर अनुमंडल अस्पताल ल' गेलनि, जता चिकित्सक सभ पांच बुच्चिया क' मृत घोषित क' देलनि। बताओल जे रहल अछि कि पारसनाथ महादेव मंदिर परिसर स्थित दौह पोखैर म' नेहेबाक दौरान ई घटना घटल। सभ बुच्चिया महादेव पर जलाभिषेक के लेल पोखैर म' नहायत छली। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ