समस्तीपुर। 08 जुलाई। एक शिक्षक द्वारा दस बरखक नेका क' बेरहमी सँ पिटबाक मामला सामना आएल अछि। मामला मुफ्फसिल थाना क्षेत्रक कोरबद्धा गाम के अछि, जता एक निजी विद्यालय केँ शिक्षक अरविंद कुमार एक छात्रक बेरहमी सँ पिटाई क' देलनि। गंभीर रूपसँ घायल छात्र क' इलाजक लेल सदर अस्पताल ल' जाएल गेल।
पीड़ित छात्र हरदेव कुमर बतौलनि कि ओ स्कूल म' दू विषय केँ कॉपी ल' गेनाय बिसैर गेल छल। जाहिक कारण शिक्षक हुनकर पिटाई क' देलनि। पीड़ित छात्र केँ पिता रमेश भगत कहलनि कि जखन हरदेव स्कूल स' वापस अएबाक बाद कपड़ा बदलैत छल तखन हुनकर नजैर हरदेव के देह पर पड़ल जाहिके देखि ओ सन्न रही गेला।
पीड़ित छात्र केँ पिता रमेश महतो ऐहिक शिकायत मुफ्फसिल थाना म' केलनि। रमेश आरोपी शिक्षक के खिलाफ एक आवेदन देलनि आओर पुलिस प्रशासन सँ कड़ा कार्रवाई के मांग कएलनि। पुलिस मामला क' गंभीरता सँ लैत कार्रवाई शुरू क' देलनि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।