यदि अपनेक जानकारी आओर अनुमति के बगैर नेट बैंकिंग के माध्यम सँ अपनेक बैंक खाता स' पाई कटैत अछि तेँ तीन दिनक भीतर ऐहिक जानकारी बैंक क' देबा पर अपने क' नुकसान नहि होएत। भारतीय रिजर्व बैंक के अनुसार एहि स्थिति म' अपनेक खाता म' फ्रॉड के चलते निकालल गेल धनराशि दस दिनक भीतर वापस जमा क' देल जाएत।
रिजर्व बैंक के कहब अछि कि अगर ग्राहक अनधिकृत रूप सँ निकालल गेल राशि के जानकारी चैर सँ सात दिनक भीतर दैत अछि तेँ हुनकर खुदक जिमेवारी होएत बशर्ते ई राशि 25000 टाका तक हुआ। एहिसँ बेसी नुकसान के भरपाई बैंक करत। मुदा ग्राहक के लापरवाही जेना अपन खाता के जानकारी किनको दोसर क' बतेबाक कारण भेल ग्राहक क' खुद उठबा पड़त।
इंटरनेट बैंकिंग बला ग्राहक के खाता आओर कार्ड सँ अनअथॉराइज्ड ट्रांजैक्शन के बढ़ैत मामला क' देखैत आरबीआई ई गाइडलाइन जारी कएलनि। ऑनलाइन फ्रॉड के घटना सँ बचबाक लेल आरबीआई हर ट्रांजैक्शन पर एसएमएस आओर ईमेल अलर्ट जरूरी क' देना अछि। आब ट्रांजैक्शन अलर्ट पर एक रिप्लाई के ऑप्शन सेहो होएत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।