पूर्णिया। 08 जुलाई। बिआह के मंडप म' दूल्हा आओर दुल्हन स्वच्छ भारत अभियान आओर पर्यावरण केँ रक्षा करबाक सपत संग आठम फेरा लेलनि। आठम फेरा लेबाक बाद ओहिठाम उपस्थित लोग सभक बिच कैको तरहक चर्चा होमे लागल। जखन सभके असलियत के पता चलल तेँ सभकियो दूल्हा - दुल्हनकेँ खूब प्रसंसा केलनि।
बिआह के बारे म' बताओल जे रहल अछि कि 3 जुलाई क' पूर्णिया के रवि रंजनकेँ बिआह मधेपुरा के मुरलीगंजक गुड़िया सँ भेलनि। रवि रंजन कहलनि कि ओ अपन बिआह के कार्ड सेहो सफेद रंगक छपेना छला जे सादगी आओर स्वच्छता केँ प्रतीक थीक।
होटल मैनेजमेंट के नौकरी क' रहलरवि रंजन क' एहि बातक प्रेरणा गुजरात के अपन एक मित्र सँ भेटलैन्ह। बिआह स्थल पर स्वच्छता सँ सम्बंधित कैको स्लोगन सेहो लगाओल गेल। एहि बातक जानकारी रवि अपन होमै बला पत्नी आओर सासुर पक्ष क' सेहो द' देना छल कि सादगी के संग - संग आठम फेरा लेबा पड़त जे पर्यावरण के सुरक्षा आओर स्वच्छता के प्रतीकक रूप म' होएत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।