सहरसा : मालिकाना हकक विवाद म' प्रशांत चित्रालय बंद, एनओसी भेल रद्द

सहरसा। 04 जुलाई। 1973 ई. म' स्वर्गीय तारकेश्वर प्रसाद सिंह द्वारा स्थापित प्रशांत चित्रालय बंद भ' गेल अछि। तारकेश्वर प्रसाद सिंह के पुत्रवधू सुधा सिंह व पुत्र प्रशांत कुमार सिंह के विवाद म' सहरसा के  जिलाधिकारी विनोद सिंह गुंजियाल चित्रालय केँ एनओसी रद्द क' देलनि। ऐहिक बाद चित्रालय म' फ़िल्म के प्रदर्शन पर पूर्णरूपे रोक लागि गेल अछि। 

जिलाधिकारी विनोद सिंह गुंजियाल चित्रालय के एनओसी रद्द करबाक संगे संग चित्रालय क' अग्निशामक विभाग सँ भेटल अनापत्ति क' सेहो  खारिज क' देलनि। चित्रालय के वर्तमान प्रोपराइटर स्व. अशोक सिंह के पत्नी सुधा सिंह कहलनि कि जिलाधिकारी द्वारा एकपक्षीय फैसला लैत चित्रालय क' बंद करबाक निर्देश देल गेल अछि। अपने क' बता दी कि सुधा सिंह के परिवार म' संपत्ति केँ विवाद चैल रहल अछि। जाहि मामला लेल उच्च न्यायालय म' वाद चैल रहल अछि। 

सुधा सिंह कहलनि कि परिवारक जीवनयापन केँ एकमात्र सहारा चित्रालय स' होमै बला आमदनी छल। आगा ओ कहली कि 'न्याय नहि भेटला पर सपरिवार आत्मदाह क' लेब।' 

अपने क' बता दी प्रशांत चित्रालय अपन स्थापना काले स' बहुत चर्चित रहल अछि। एहि चित्रालय के  संस्थापक स्व. तारकेश्वर प्रसाद सिंह मैथिली चेतना परिषद के सदस्य छलाह। हुनका कार्यकाल म' मैथिली फिल्म के प्रदर्शन म' प्रशांत चित्रालय अग्रणी रहल छल। 1983 म' अभिनेता किरण कुमार आओर अरुणा इरानी केँ मैथिली फिल्म भौजी माय व दुलरुवा बाबू के प्रदर्शन काएल गेल छल। प्रशांत चित्रालय म' मैथिली, हिंदी व भोजपुरी के कैको अभिनेता व अभिनेत्री फिल्म के प्रमोशन लेल चित्रालय पहुँचल छथि। सिनेमा हॉल के बंद भेला सँ सिनेप्रेमि लोकनि उदास छथि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ