मधेपुरा : 11 हजार वोल्ट के बिजली तारक चपेट म' अएला सँ छह के मौत

मधेपुरा। 05 जुलाई। मधेपुरा जिला के मुरलीगंज पावर हाउस स' दक्षिण कैल्हि मंगल दिन दुपहर एक घर पर हाई टेंशन बिजली तार गिर पड़ल जाहिसे 2 महिला सहित 4 बच्चिया के घटना स्थले पर मौत भ' गेलनि। एहि घटना म' एक महिला आओर एक बच्चिया जख्मी बताओल जे रहल अछि। एहि दर्दनाक घटना स' पूरा इलाका म' दहशत अछि। घटना सँ आक्रोशित लोग सभ मुरलीगंज पावर हाउस लग एनएच 107 क' जाम क' देलनि।
एहि हादसा म' मरनिहार सभ महिला आओर बच्चिया कुमारखंड के रहटा वार्ड 14 के रहनिहार बताओल जे रहल अछि। ई सभ महिला आओर बच्चिया बगल म' मुरलीगंज पावर हाउस सँ दक्षिण खेत म' मूंग तोड़बाक लेल गेल छथि। एकाएक बारिश शुरू होयबाक कारण ई सभ बारिश स' बचबाक लेल बगल म' चदरापोश शेड म' चल गेल छथि। 

एहि बीच एकाएक शेड के ऊपरसँ गुजरल 11 हजार वोल्ट के बिजली तार टूटीके छत पर खैस पड़ल। चदरापोश छत पर हाई टेंशन तार गिरते आओर  जमीन भीजल रहबाक कारण पूरा घर म' करंट पसैर गेल। घर म' करंट पसरला सँ ओता मौजूद तीन महिला मो. जमील के पत्नी नजमुन खातुन (35), मो. खुर्शीद के पत्नी अलिशा खातुन (25) आओर मो. जावेद के पत्नी शकिला (30) केँ अलावा नसीम के दू बेटी शाहिस्ता (15) आओर रोजी (12), मो. मुस्तकीम के बेटी मर्जीना (13) ऐहिक चपेट म' आबि गेलनि जाहिसे सभक मौत भ' गेलनि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ