जिलाक दीन दयाल उच्च विद्यालय म' संसाधन सभक आभाव म' बच्चा सभ जमीन पर बैस परीक्षा देबाक लेल मजबूर छथि। परीक्षा म' लापरवाही सेहो बरतल जे रहल अछि। छात्र-छात्रा सभ किताब आओर कॉपी सामना म' खोली परीक्षा द' रहल छथि। दोसर दिस बालिका प्रोजेक्ट उच्च विद्यालय के सेहो इए हाल अछि। छात्रा सभ कमरा म' फर्श पर आओर आमक गाछ तर बैस परीक्षा द' रहल छथि।
एहि संबंध म' प्राचार्य मिथिलेश कुमार दास कहलनि कि स्कूल म' संसाधनक घोर अभाव अछि। कुल 9 शिक्षक छथि, स्कूल म' पर्याप्त बेंच-डेस्क नहि अछि। लगभग 16 सौ छात्र - छात्रा सभक लेल भवन व कमरा के सेहो आभाव अछि। जेना - तेना बैस बच्चा सभ परीक्षा दैत छथि।
अपने क' बता दी किताबक अलावा अगल-बगल बैस छात्र सभ कॉपी सँ सेहो नक़ल करैत छथि। परीक्षा काल बच्चा सभक कमरा म' शिक्षक सेहो नहि रहैत छथि। फिलहाल कारण जे भी होए, मुदा जिला भरी म' चैल रहल मूल्यांकन परीक्षा तमाम सरकारी दावा केर पोल खोईल देना अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।