तेजस्वी पर 'अड़ला' नीतीश, भाजपा संग मनमुटाव बिसैर नवा सरकारक गठन क' सकैत छथि


पटना। 18 जुलाई। उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव केर इस्तीफा नहि देवासँ  बि­हार म' राजनीतिक संकट केर स्थिति उत्पन्न भ' सकैछ। नीतीश कुमार सभ तरहक विकल्प पर विचार क' रहल छथि, एक दू दिन म' नीतीश कुमार कुनु अहम फैसला ल' सकैत छथि। संभव अछि कि भाजपा संग मनमुटाव बिसैर नवा सरकार केँ गठन क' सकैत छथि।

अपने क' बता दी उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव पर सीबीआई द्वारा प्राथमिकी दर्ज करौलाक बाद बिहार म' राजनीतिक संकट केर हालात अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर मंशा अछि कि तेजस्वी यादव अपन  पदसँ इस्तीफा दैथ मुदा उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव इस्तीफा नहि देबा पर अड़ल छथि। 

नीतीश कुमार अपन डेग पाछा नहि हटेबाक लेल जानल जाएत छथि, ऐना म' यदि तेजस्वी यादव इस्तीफा नहि दैत छथि तेँ एहेन स्थिति म' नीतीश कुमार कठोर डेग उठेबाक तैयारी क' रहल छथि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार लग सीमित विकल्प छैन्ह पहिल तेँ ई कि तेजस्वी यादव क' मंत्रिमंडल सँ बर्खास्त करैथ। दोसर मंत्रिमंडल भंग करि नवा सिरा सँ गठन करैथ आओर तेसर भाजपा संग नवा सरकारक गठन केँ पहल करैथ।

तेजस्वी यादव के बर्खास्तगी केर जता धरी सवाल अछि तेँ नीतीश कुमार एहि विकल्प पर विचार नहि क' रहल छथि। ऐना एहिलेल कि यदि नीतीश कुमार तेजस्वी क' बर्खास्त करैत छथि तेँ तेजस्वी यादव क' के सहानुभूति भेटतैन्ह आओर वोट बैंक म' इजाफा सेहो हेतैन्ह। दोसर आओर तेसर विकल्प पर नीतीश कुमार गंभीरता सँ विचार क' रहल छथि।

जदयू केर अधिकारिक सूत्र सँ पता चलल कि नीतीश कुमार अपन स्टैंड सँ कुनूभि सूरत म' पाछा हटै बला नहि अछि चाहे ऐहिक लेल हुनका जे भी दाम चुकबे परैन्ह।  नीतीश कुमार कैबिनेट के बहुतो लोग चाहैत छथि कि जदयू भाजपा संग मिल सरकार बनबे।

एहि बिच सुचना भेट रहल अछि कि भाजपा सँ डील भ' रहल अछि जे एखन धरी फाइनल नहि भेल अछि। भाजपा नीतीश कुमार क' लोकसभा म' 8 सँ 10 सीट देबा चाहैत अछि आओर विधानसभा म' 150 के आसपास देबाक पेशकश भाजपा द्वारा काएल जे रहल अछि। एहि प्रस्ताव क' नीतीश कुमार पचा नहि पाएब रहल छथि।

नीतीश कुमार पहिल बला फार्मूला पर समझौता चाहैत छथि। लोकसभा म' नीतीश खेमा 25 सीट पर दावा क' रहल अछि आओर विधानसभा म' 150 के आसपास सीट भेटला पर बात बैन सकैछ। 

फिलहाल, राजद आओर भाजपा दुनू दिससँ ई कहल जे रहल अछि कि ओ सरकार क' गिरे नहि देत आओर बाहर सँ सरकार के समर्थन काएल जाएत। ऐसी परिस्थिति म' नीतीश कुमार यदि असगरो सरकार बनबैत छथि तेँ हुनकर सरकार क' कुनु खतरा नहि होएत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने