चन्द्रशेखर ठाकुर कहलनि कि ओ भोर 3 बजे सँ तत्काल टिकट के लेल लाइन म' ठाढ़ रहैत। जखन टिकट लएबाक बारी आएल तेँ रेल पुलिसक जवान बाहर सँ एक यात्री क' ल पहुंचला आओर पहिने हुनका टिकट दिएबा लागलखिन। जखन चन्द्रशेखर ऐहिक विरोध केलनि तेँ हुनका पकड़ी क' कमरा म' बंद करि बेरहमी सँ पिटलैन्ह। ऐहिक सूचना भेटते बहुत रास स्थानीय लोग स्टेशन पहुंच तोड़फोड़ करे लागल।
देखते - देखते स्टेशन पर भगदड़ मैच गेल। ढोली स्टेशन के अधीक्षक सहित सभ कर्मचारी कार्यालय छोईड़ फरार भ' गेला, जाहि कारण सँ ट्रेन सभक परिचालन करीब एक घंटा प्रभावित रहल। उग्र भीड़ ढोली स्टेशन के कम्प्यूटरीकृत आरक्षण केंद्र क' पूरा तरहे क्षतिग्रस्त क' देलनि। हंगामा केर सूचना पर पहुंचल सकरा पुलिस क' हंगामा रोकबा म' बहुत मशक्कत करे पड़लैन्ह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।