मनी लांड्रिंग केस : लालू के बेटी मीसा भारती आओर दामाद के तीन ठिकाना पर ED के छापा

नई दिल्ली। 08 जुलाई। लालू प्रसाद यादव के परिवार पर सीबीआई आओर प्रवर्तन निदेशालय (ED) के शिकंजा लगातार कसैत जे रहल अछि। लालू यादव के घर आओर ठिकाना पर सीबीआई के छापामारी के महज 24 घंटा के भीतर बेटी मीसा भारती के तीन ठिकाना पर प्रवर्तन निदेशालय छापा मारलैन्ह। ऐहिक तहत दिल्ली के सैनिक फार्म इलाका म' स्थित फार्म हाउस, बिजवासन आओर घिटोरनी म' हुनक ठिकाना पर प्रवर्तन निदेशालय छापा मारलैन्ह। मनी लांड्रिंग केस म' ई छापामारी काएल गेल अछि। मीसा भारती के सैनिक फार्म हाउस के दाम 50 करोड़ मानल जाएत अछि जे 2.8 एकड़ म' पसरल अछि। 

बेनामी संपत्ति के मामला म' सेहो घेराओल मीसा भारती आओर हुनकर पति शैलेश कुमार 21 जून दिन आयकर विभागक समक्ष पेश भेल छल। दुनू स' करीब छह घंटा धरी पूछताछ काएल गेल छल। ओहिसे पहिने 20 जून क' एक बड़का कार्रवाई म' आयकर विभाग दिल्ली सँ पटना धरी लालू प्रसाद यादव के परिवारक कैको बेनामी संपत्ति ज़ब्त केलनि, जाहिमे लालू के पत्नी राबड़ी देवी, पुत्र तेजस्वी यादव, पुत्री मीसा भारती, दामाद शैलेश कुमार आओर लालू के आन दू बेटी रागिनी आओर चंदा यादव के बेनामी संपत्ति शामिल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने