देश क' गुमराह करबाक आरोप म' विदेश मंत्री सुषमा स्वराज पर मुकदमा

मुजफ्फरपुर। 25 जुलाई। देश क' गुमराह करबाक आरोप म' विदेश मंत्री सुषमा स्वराज केर खिलाफ परिवाद दायर काएल गेल अछि। मुजफ्फरपुर सीजेएम कोर्ट म' तमन्ना हाश्मी सुषमा स्वराज पर मुकदमा दायर करौलनि।

परिवादी तमन्ना द्वारा विदेश मंत्री सुषमा स्वराज पर आरोप लगाओल गेल अछि कि सुषमा स्वराज मोसुल म' 39 भारतीय के गायब होयबाक मामला  म' देश क' गुमराह कएलनि। ओ जनता क' अन्हार म' राखली। तमन्ना हाश्मी कहलनि कि इराक सँ पंजाब लौटल युव सभ स्पष्ट केना छलखिन कि ओता फसल सभ भारतीय केँ हत्या क' देल गेल अछि। जाहि जेल म' ओ सभ बंद छलाह ओकरा नेस्तोनाबूत क' देल गेल अछि। 

अपने क' बता दी 39 भारतीय 2014 सँ इराक म' लापता छल। सुषमा स्वराज कहने छली कि सभ लापता भारतीय क' सुरक्षित वापस आनबाक लेल सरकार हरसंभव कोशिश क' रहल अछि। लापता भारतीय म' बेसी  पंजाब के छल। बताओल जे रहल अछि कि जाहि बादुशा नामक जगह स्थित जेल म' सभ भारतीय क' कैद म' रखबाक बात बताओल जे रहल छल, ओ जेल नेस्तोनाबूत भ' चुकल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ