नीतीश कुमार पर शरद यादव तोड़लनि चुप्पी, कहलनि नीतीश कुमार के फैसला सँ हम सहमत नहि छी

पटना। 31 जुलाई। बिहार म' नीतीश कुमार के फैसला सँ शरद यादव नाराज छथि। भाजपा संग गठबंधन के बाद शरद यादव पहिल बेर अप्पन चुप्पी तोड़ला। शरद यादव कहलनि कि हम बिहार म' भेल फैसला सँ सहमत नहि छी। ई दुर्भाग्यपूर्ण अछि। लोग सभक द्वारा जनादेश ऐहिक लेल नहि छल। आगा ओ कहलनि कि गठबंधन टुटबासँ हमरा बहुत अफसोस अछि। अपने क' बता दी एहिसँ पहिनो शरद यादव मोदी सरकार पर ट्वीट केर माध्यम सँ निशाना साधी चुकल छथि। 

दरअसल, पहिने सँ ई कहल जाएत छल कि नीतीश कुमार के फैसला सँ शरद यादव नाराज छथि। सरकार गठन के बाद शरद यादव जेडीयू नेता सभसँ दिल्ली म' भेंट केना छला। ओहिक बाद सँ ओ चुप छला। ओतहि, आरजेडी सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव सेहो शरद यादव सँ बात करि फेरसँ संघर्ष करबाक लेल कहने छलखिन।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने