भाजपा नेता कृष्णा शाही केँ हत्या, इनार म' भेटल लाश

गोपालगंज। 19 जुलाई। भाजपा के वरिष्ठ नेता कृष्णा शाही केर हत्या भ' गेल अछि। हुनकर लाश एक इनार म' भेटल। बताओल जे रहल अछि कि कैल्हि मंगल दिन कृष्णा फुलवरिया केँ मांझा गाम म' एक श्राद्धकर्म म' हिस्सा लएबाक लेल गेल छलाह। जाहिक बाद सँ ओ लापता बताओल जायत छलाह। परिजन सभ ऐहिक सूचना पुलिस क' देलनि।  जाहिक बाद पुलिस द्वारा लागातार तलाश करबा पर हुनक लाश ओहि गामक एक इनार म' भेटल जाहि गाम ओ म' गेल छलाह। कृष्णा शाही बीजेपी व्यावसायिक सेल के प्रदेश प्रभारी छलाह। 

एखन धरी हत्या केर कारणक खुलासा नहि भेल अछि। मुदा ओ कैको बेर कहैत छलखिन कि किछु लोग सँ हुनकर जान क' ख़तरा अछि। ओतहि, लाश भेटलाक बाद गाम म' भारी संख्या म' पुलिस बल क' तैनात काएल गेल अछि। पुलिस एहि मामलाक जांचक लेल दू अलग-अलग टीम बनौलनि आओर आरोपी सभके गिरफ्तारी लेल लगातार छापामारी काएल जे रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने